‘क्राफ्टवाला’ संस्था के राकेश झा कहलनि कि गिनीज बुक ऑफ वर्ल्ड रिकॉर्ड्स म' मात्र 4566.1 वर्ग फुट पेंटिंग दर्ज अछि। ओनाकि भारत म' सभसँ बड़का पेंटिंग के रिकॉर्ड मात्र 720 वर्ग फुट अछि। एहि लिहाज स' मधुबनी स्टेशन के ई पेंटिंग पूरा दिनियां म' सभसँ पैघ पेंटिंग होयत।
अपने क' बता दी मधुबनी स्टेशन के दीवार पर 46 छोट आ नमहर थीम म' बाँटीके एक सौ स' बेसी कलाकार श्रमदान क' रहल छथि। गांधी जयंती पर 2 अक्टूबर दिन मधुबनी रेलवे स्टेशन पर ऐहिक विधिवत शुभारंभ डीआरएम द्वारा कायल गेल छल। दिन राति चैल रहल एहि काज क' 7 अक्टूबर धरी पूरा करबाक लक्ष्य अछि। संभावना अछि कि 7 अक्टूबर क' ऐहिक लोकार्पण कायल जायत। ऐहिक बाद जयनगर-दरभंगा रेलखंड के यात्री लोकनि बिना स्टेशन के नाम देखना अगबे मिथिला पेंटिंग देख चिन्ह जायत जे मधुबनी स्टेशन अछि।
समस्तीपुर के डीआरएम आरके जैन आ मधुबनी के ठाढ़ी गाम निवासी ‘क्राफ्टवाला’ राकेश झा एहि काज क' मिशन केर तौर पर करेबा म' लागल छथि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।