आतंकी हमला म' शहीद भेल मिथिलाक लाल बृज किशोर यादव क' अंतिम विदाई देल गेल

भागलपुर। 05 अक्टूबर। कश्मीर म' 3 अक्टूबर क' बीएसएफ कैंप पर भेल  आतंकी हमलाक दौरान शहीद भेल बीएसएफ के एएसआई बृज किशोर यादव के आय गुरु दिन अंतिम संस्कार कायल गेल। भागलपुर जिला म' स्थित हुनकर पैतृक गाम म' हुनका पूरा राजकीय सम्मान केर संग अंतिम विदाई देल गेल। एहि दौरान बीएसएफ, सेना, स्थानीय पुलिस आओर  प्रशासन सँ जुडल कैको अधिकारी सेहो मौजूद छला।

एहिसँ पहिने बिहार सरकार दिस स' शहीद बृज किशोर यादव के परिवार क' 11 लाख टाकाक मुआवजा देबाक घोषणा कायल गेल। मंगल दिन  मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शहीद जवान के परिवार क' 11 लाख टाकाक मुआवजा देबाक संगे संग राजकीय सम्मान के संग हुनकर अंतिम संस्कार करबाक घोषणा केना छलखिन। भागलपुर जिलाक कमालचक के निवासी शहीद बृज किशोर यादव श्रीनगर म' बीएसएफ के 182वीं बटालियन के कैंप म' तैनात छलाह।  

3 अक्टूबर क' बीएसएफ कैंप पर जैश के फिदायीन आतंकी सभक हमला के दौरान जवाबी कार्रवाई करैत एएसआई शहीद बृज किशोर यादव शहीद भ' गेल छलाह। हुनकर शहादत के बाद कैल्हि बुध दिन श्रीनगर म' हुनका  सेना, पुलिस आओर आन सुरक्षाबल सभक जवान सभ श्रद्धांजलि देलनि जाहिक बाद हुनकर पार्थिव शरीर क' हुनकर पैतृक गाम कमालचक भेजल गेल छल।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ