फेसबुक सँ यथार्थक धरातल पर सहरसा ग्रुप मिलन समारोह केर आयोजन एहि बरख 5 नवंबर क' होयत

सहरसा। 24 अक्टूबर।[जितमोहन झा (जितू)] फेसबुक सँ यथार्थक धरातल पर सहरसा ग्रुप मिलन समारोह केर आयोजन एहि बरख 5 नवंबर, 2017 क' होमै बला अछि। एहि बरख "सहरसा ग्रुप मिलन समारोह" म' रंगमच, कविता, साहित्य आओर सोशल मिडिया के मित्र लोकनिक समागम होयत।

सहरसा ग्रुप अप्पन सामाजिक सरोकार क' व्यक्त करबाक प्रतिबद्धता केर कारण आय फेसबुक सँ यथार्थक धरातल पर कतिपय समानांतर मीडिया समाज म' सार्थक भूमिका निभाबई म' सफल रहल अछि। मुदा ओता जता  बहुत रास देहाती प्रतिकूलता सभक संगे - संग साधन आओर सूचना केर कमी के बावजूद एक समूह अप्पन क्षेत्र के सरोकार सभके ल'क' सोशल मीडिया पर संगठित होयत अछि आओर देखते - देखैत अप्पन एक विशाल स्वतंत्र वजूद तैयार करबा म' सफल भ' जायत अछि, ऐहिके आश्चर्य नहि कहब तेँ की कहब ? फेसबूक पर ई समूह "सहरसा ग्रुप" के नाम सँ जानल जायत अछि, सहरसा फेसबुक ग्रुप पछिला किछु बरख म' सोशल मीडिया कर्मि सभक देश म' सम्मेलन आयोजित करि सभके चौंका देना छल।  

सहरसा ग्रुप मिलन समारोह केर आयोजन फेसबुक के मित्र लोकनि सँ भेट  मुलाक़ात करबाक लेल कायल जायत अछि, जाहिक आयोजन एहि बरख 5 नवंबर क' होयत। सहरसा ग्रुप मिलन समारोह केर संबंध म' ग्रुप केर  संचालक कुमार रविशंकर कहलनि कि एहि कार्यक्रम क' पछिला कैको बरख सँ लोग सभक स्नेह आओर समर्थन भेट रहल अछि, जाहिसँ ई आयोजन पछिला बरखक अपेक्षा एहि बरख बेसी श्रेष्ठ होयत। 

अपने क' बता दी एहि बरख सहरसा ग्रुप मिलन समारोह केर मुख्य अतिथि डॉ. शेफालिका वर्मा, साहित्य अकादमी पुरस्कार सँ सम्मानित साहित्यकार रहती, ओतहि मिलन समारोह कार्यक्रम केर उद्घाटन श्री सौरभ जोरवाल (भा.प्र.से.), एस.डी.ओ. सहरसा करता। विशिष्ट अतिथि म' रमेश झा महिला महाविद्दालय के प्राचार्या डॉ.रेणु सिंह आओर श्री प्रभाकर तिवारी, डी.एस.पी सहरसा रहथि। कार्यक्रम म' युवा कवि आनंद झा, समकालीन कवि श्री अरविंद श्रीवास्तव आदि कवि लोकनिक कविता पाठ होयत तेँ शशि सरोजनी रंगमंच संस्थान के द्वारा सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो  प्रस्तुत कायल जायत। ऐहिक अलावा मैलोरंग, नई दिल्ली के द्वारा एकल नाटक केर प्रस्तुति सेहो होयत। 

सहरसा ग्रुप मिलन समारोह केर जानकारी दैत ग्रुप केर संचालक कुमार रविशंकर कहलनि कि हर बरखक भांति एहि बरख  ई आयोजन 5 नवम्बर क' होयत। ऐहिक संगे ओ कहलनि कि सहरसा ग्रुप टीम सहरसा के सभ रंगमच, कविता, साहित्य आओर सोशल मिडिया के मित्र लोकनिक सहभागिताक विनम्र अपेक्षा राखैत उपस्थिति हेतु सादर आमंत्रित करैत छथि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ