एता मुस्लिम महिला सभ हिंदू महिला सभक संग मिलके छठ पर्व केर तैयारी करैत छथि। एकहि छठ घाट पर एक संग पर्व मनबैत छथि। 35 वर्षीय खातून नेशा पछिला 4 बरख स' छठ पर्व मनबैत छथि। थावे प्रखंड के चनावे गामक रहे वाली खातून नेशा के पति मजदूरी करैत छथि। अप्पन थोड़ बहुत कमाई के किछु हिस्सा बचा ई मुस्लिम परिवार छठ मनबैत छथि।
एहि गामक खातूना नेशा असगर मुस्लिम महिला नहि छथि जे छठ महापर्व मनबैत छथि, बल्कि एहि गामक करीब छह से ज्यादा महिला छठ महापर्व मनबैत छथि।
राजा हुसैन केर पत्नी शाहजहा खातून पछिला 9 बरख स' छठ पूजा करैत छथि। शाहजहा खातून केर मुताबिक हुनका 4 बेटि छैन्ह। ओ छठी मैया सँ एक बेटा के मन्नत मांगने रहथिन। छठी मैया हुनकर पुकार सुनलनि। आय शाहजहा के बेटा 9 बरखक भ' गेल अछि। जहिया स' हुनका बेटा भेलनि ओ छठी मैया केर पूजा क' रहल छथि।
चनावे गामक प्रभावती देवी कहली कि एहि गाम म' दुनू समुदाय के लोग ईद, होली, दशहरा, बकरीद मिल क' मनबैत अछि। छठ पर्व म' सेहो मुस्लिम परिवार हिस्सा लैत अछि। प्रभावती देवी केर मुताबिक ओ शाहजहा क' प्रसाद बनबै म' मदद करैत छथि। सभ समुदाय के लोग एकहि घाट पर पूजा करैत छथि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।