पुलिस अधीक्षक डॉ. सिद्दार्थ मोहन जैन कहलनि कि कटिहार पुलिस क' गुप्त सूचना भेटल कि जिला के पोठिया ओपी के मधेली रेलवे ढाला लग कुख्यात अपराधी विकास यादव उर्फ ज्वाला यादव अप्पन सहयोगी सभक संग कुनु वारदात क' अंजाम देबाक फेराक़ म' छथि। सूचना भेटते हुनकर गिरफ्तारीक लेल कोढ़ा अंचल के इंस्पेक्टर अरविन्द कुमार केर नेतृत्व म' एक पुलिस टीम गठित करि कुख्यात विकास यादव क' गिरफ्तार क' लेल गेल, ओतहि आन पांच संदिग्ध क' सेहो हिरासत म' लेल गेल अछि।
प्राप्त सुचना केर मुताविक हत्या आओर लूट के आधा दर्जन सँ बेसी संगीन वारदात म' संलिप्त रहल छथि गिरफ्तार विकास यादव, संगहि कटिहार के अलावा आन सीमावर्ती जिला सभमे सेहो विकास यादव के खौफ अछि। पुलिस अधीक्षक डॉ सिद्दार्थ मोहन जैन कहलनि कि गिरफ्तार विकास यादव लग स' तीन देशी कट्टा, आठ एमएम की 19 जिन्दा कारतूस, 12 बोर के पांच जिन्दा कारतूस, पांच मोबाइल, एक बाइक आओर दू खोखा बरामद कायल गेल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।