
गोपालगंज। 13 अक्टूबर। बिहार सरकार राज्य म' आब मनरेगा केर कॉन्सेप्ट बदलै बला अछि। लोग सभक मोन म' मनरेगा केर प्रति जे भ्रांति अछि, ओहिके दूर करबाक प्रयास कायल जे रहल अछि। प्रदेश म' जे बेरोजगार नौजवान छथि, ओ मुर्गी पालन, भैंस पालन वा डेयरी के काज करे चाहैत छथि, तेँ सरकार हुनका मनरेगा केर तहत शेड बना मुफ्त म' उपलब्ध करायत।
ई बात सूबे के ग्रामीण विकास विभाग सह संसदीय कार्य मंत्री श्रवण कुमार गोपालगंज म' कहलनि। श्रवण कुमार कैल्हि गुरुदिन गोपालगंज म' पार्टी कार्यकर्ता सभके संबोधित करैत घरी ई जानकारी देलनि। श्रवण कुमार कहलनि कि राज्य म' मार्च 2018 धरी सभ जिला म' 10 हजार खेल मैदान बनाओल जायत। हाई स्कूल, प्राइमरी स्कूल म' जेभी जमीन उपलब्ध अछि ओहिक घेराबंदी करि ओहिपर मिनी स्टेडियम बनाओल जायत।
ऐहिक अलावा, बिहार म' जलसंचय केर योजना चलाओल जायत। जाहिक तहत प्रदेश के बांध सभक पक्कीकरण करि नदी सभक पैन क' खेत धरी पहुँचाओल जायत। श्रवण कुमार आगा कहलनि कि बिहार क' 2019 तक खुला म' शौचमुक्त करबाक उद्देश्य राखल गेल अछि। स्वच्छता अभियान क' तेजी सँ चलबैत जाहि घर सभमे शौचालय नहि अछि। ओहि सभ घर म' शौचालय बनेबाक लक्ष्य राखल गेल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।