बाल विवाह आओर दहेज केर खिलाफ नीतीश कुमार केर मुहिम क' भेटल महिला सभक संग

मुंगेर। 12 अक्टूबर। देहज प्रथा आओर बाल विवाह उन्मूलन लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केर मुहिम म' आब महिला सभ आगू बढ़ी रहल छथि आओर खुलीकेँ दुनू प्रथा केर विरोध क' रहल छथि। ओतहि, बाल विवाह आओर दहेज बला बिआह म' भाग नहि लेबाक लोग सभसँ अपील क' रहल छथि। एहि कड़ी म' मुंगेर म' जेडीयू केर महिला मोर्चा बड़का रैली निकैल ई संदेश देलनि। 

एहि दौरान महिला सभ लोग सभके बतौलनि कि एहि कुप्रथा क' समाज म' जगह देनिहार लोग सभक लेल कोनो जगह नहि होयबाक चाही। रैली म' शामिल महिला सभ बाल विवाह आओर दहेज प्रथा केर खिलाफ अप्पन आवाज बुलंद केलनि।  रैली म' शामिल महिला सभ कहलनि कि एहि दुनू प्रथा क' जैड़ स' उखाड़े पड़त।

रैली केर नेतृत्व क' रहल महिला जेडीयू केर जिलाध्यक्ष रीता कुमारी कहलनि कि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा महिला सभक सम्मान म' जे डेग उठाओल गेल अछि, ओहिक देश भरिक महिला सभ समर्थन क' रहल छथि। मुख्यमंत्री के एहि मुहिम क' सगर देश म' पसारबाक जरूरत अछि।  

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ