शिक्षा शास्त्री व आचार्य केर परीक्षाक तिथि भेल घोषित, 8 स' 25 नवम्बर धरी भरल जायत फॉर्म

दरभंगा। 13 अक्टूबर। छात्र सभक सुविधा क' ध्यान म' राखैत संस्कृत विश्वविद्यालय द्वारा करीब ढाई माह पहिने शिक्षा शास्त्री द्वितीय वर्ष 2015 -17 के संग आचार्य द्वितीय सेमेस्टर 2016 - 18 आओर चतुर्थ सेमेस्टर 2015 -17 केर परीक्षाक तिथि घोषित कायल गेल अछि।

एहि परीक्षा म' शामिल होयबाक लेल फॉर्म भरबाक यानी सशुल्क परीक्षा आवेदन जमा करबाक तिथि सेहो 8 नवम्बर स' 25 नवम्बर निर्धारित कायल गेल अछि। 

ऐहिक जानकारी दैत पीआरओ निशिकांत कहलनि कि उक्त तीनो परीक्षाक लेल 8 स' 18 नवम्बर धरी निर्दण्ड, 20 स' 22 धरी सामान्य आओर 23 स' 25 नवम्बर धरी विशेष दण्ड संग फॉर्म भरल जे सकत।

ओतहि दोसर दिस, शिक्षा शास्त्री के लिखित परीक्षा 5 जनवरी स' 12 जनवरी,18 धरी होयत जखनकि मौखिकी वा प्रायोगिक परीक्षा 13 स' 15 जनवरी,18 धरी लेल जायत।

एहि तरहे आचार्य द्वितीय व चतुर्थ सेमेस्टर के लिखित परीक्षा 16 जनवरी स' 19 जनवरी,18 धरी चलत आओर मौखिकी 20 स' 23 जनवरी,18 निर्धारित कायल गेल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने