दरभंगा : दुश्मन स' बदला लेबाक लेल पिता द्वारा अपनहि बच्ची क' अगवा करा रचाओल गेल साजिश

दरभंगा : 13 अक्टूबर। घनश्यामपुर थाना क्षेत्र के पाली गाम स' 6 अक्टूबर दिन अगवा भेल बच्ची के पता पुलिस लगा लेना अछि। पुलिस एहि अपहरण केर  खुलासा करैत कहलनि की बच्ची क' अगवा हुनकर पिता करेना रहथिन।  एहि मामला म' आरोपी पिता समेत तीन लोग क' गिरफ्तार कायल गेल अछि। 

प्राप्त जानकारी केर मुताबिक भूदान के  एक जमीन ल'क' गामक विकास शर्मा के बलराम झा संग विवाद चलैत छल। 6 अक्टूबर क' दुनू के बिच ऐहिक लेल माइर पिट भेल। जाहिमे आधा दर्जन लोग जख्मी भेल छल। एहि मामला म' विकास शर्मा द्वारा गामक 24 नामजद आओर आन केर खिलाफ थाना म' माइर पिट आओर घर जड़ेबाक रिपोर्ट दर्ज कराओल गेल छल। ऐहिक संगे अप्पन बेटीक अगवा होयबाक सेहो प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल छल।

पुलिस क' एहि कांड केर अनुसंधान म' साजिश रचल होयबाक गंध आयल। एसडीपीओ सुरेश कुमार केर निगरानी म' अलग-अलग जगह पर नजैर राखल जेल। जाहिक कारण स' आरोपी लगातार अप्पन ठिकाना बदलैत रहल। मुदा पुलिसक मुस्तैदी केर कारण स' बच्ची क' विकास शर्मा के रिश्तेदारक घर सँ बरामद कायल गेल। पुलिसक मानी त' बलराम झा क' फंसेबाक लेल विकास शर्मा द्वारा ई साजिश रचल गेल छल। मुदा पुलिस द्वारा खुलासा करैत आरोपी पिता समेत तीन लोग क' गिरफ्तार क' लेल गेल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने