पटना। 13 अक्टूबर। माटी घोटाला मामला म' पटना हाईकोर्ट के मुख्य न्यायाधीश द्वारा राज्य सरकार स' रिपोर्ट मांगल गेल अछि जाहि सँ पूर्व वन एवं पर्यावरण मंत्री तेज प्रताप यादव केर मुश्कि बढ़ी सकैत अछि।
माटी घोटाला म' लालू प्रसाद यादव के बड़का बेटा तेजप्रताप यादव केर मुश्कि एक बेर फेर सँ बढ़ी सकैत अछि। मॉल केर माटी चिड़ियाघर क' बेचबाक मामला म' पटना हाईकोर्ट के मुख्य न्यायाधीश राजेंद्र मेनन द्वारा एहि मामला पर सरकार स' रिपोर्ट मांगल गेल अछि।
गौरतलब अछि कि बेली रोड म' लालू प्रसाद यादव केर प्रस्तावित मॉल के निर्माणक दौरान मॉल केर माटी क' चिड़ियाघर क' बेचल जेबाक मामला प्रकाश म' आयल छल। तत्कालीन वन एवं पर्यावरण मंत्री तेजप्रताप यादव के कार्यप्रणाली पर सवाल सेहो ठाढ़ भेल छल। भाजपा नेता सुशील मोदी द्वारा पूरा मामला क' जोर शोर सँ उठाओल गेल छल। पटना हाईकोर्ट केर कड़ा रुखक बाद तत्कालीन वन एवं पर्यावरण मंत्री आओर लालू प्रसाद यादव के बड़का बेटा तेज प्रताप यादव केर मुश्किल बढ़ैत नजैर आएब रहल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।