जम्मू-कश्मीर के बांदीपोरा म' आतंकी मुठभेड़ म' शहीद भ' गेला मिथिलाक लाल 'निलेश कुमार नयन'

भागलपुर। 12 अक्टूबर। जम्मू-कश्मीर के बांदीपोरा म' कैल्हि बुध दिनक भोर पांच बजे आतंकी सभक संग मुठभेड़ म' वायुसेना गरुड़ कमांडो कॉर्पोरल निलेश कुमार नयन शहीद भ' गेला। ओ सुल्तानगंज के उधाडीह गामक रहिवासी छलाह। शहीद निलेश कुमार अप्पन बेटी व पत्नी के संग चंडीगढ़ स्थित एयरफोर्स कैंप म' रहैत छलाह। ओ विभागीय निर्देश पर जम्मू-कश्मीर के श्रीनगर म' आर्मी कैंप म' ट्रेनिंग देबे गेल छलाह। 

तीन भाई-बहिन म' सभसँ जेठ नीलेश कुमार के जन्म 10 फरवरी 1986 म' भेल छलनी। ओ 2004 म' वायुसेना केर नौकरी ज्वाइन केना छलाह।  नीलेश 2001 म' उच्च विद्यालय कुमारपुर कटहरा सँ सेकेंड डिवीजन स' मैट्रिक केर परीक्षा पास केना छलाह। ऐहिक बाद भागलपुर के परबत्ती म' अप्पन छोट भाई नितेश कुमार संग रही आगू केर पढ़ाई केना छलाह। नीलेश 2003 म' हवेली खड़गपुर स्थित नरेंद्र सिंह काॅलेज स' इंटर (साइंस) म' प्रथम श्रेणी स' पास केना छलाह। बड़का भाई नीलेश स' प्रेरित भ' नितेश कुमार सेहो एक बरखक बाद आर्मी ज्वॉइन केलनि।

बेटा के शहादत पर पिता तरुण सिंह क' गर्व अछि मुदा हुनकर नोर रुकबाक नाम नहि ल' रहल अछि। उधाडीह गाम म' हुनका घर पर भीड़ उमड़ल अछि। नीलेश के बिलखैत दादी कहलनि कि आब जीबाक कोनो इच्छा नहि बचल।

शहीद नीलेश कुमार के अंतिम संस्कार आय हुनकर गाम सँ आठ किलोमीटर दूर सुल्तानगंज केर उत्तर वाहिनी गंगा घाट पर कायल जायत। गाम म' भारी संख्या म' लोग पहुँच रहल छथि। देश भक्ति गीतक बीच नीलेश कुमार अमर रहे के लोग नारा लगा रहल छथि। सड़क कात नेना सभ सेहो हाथ म' तिरंगा झंडा ल' हुनकर पार्थिव शरीर के दर्शन करबाक लेल ठाढ़ छथि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने