मधुबनी के युवा पत्रकार मिहिर झा दिल्ली म' पाग सँ सम्मानित भेला

मधुबनी। 03 अक्टूबर। मधुबनी जिलाक बाबूबरही के बेला गाम निवासी विष्णु कांत झा के पुत्र  आओर युवा पत्रकार मिहिर झा क' मैथिली-हिंदी पत्रकारिता म' उत्कृष्ट योगदानक लेल डीडी बिहार के डायरेक्टर पी.एन.सिंह दिल्ली स्थित आईटीओ म' किरण प्रकाशन व मिथिलालोक केर सयुँक्त तत्वावधान म' आयोजित पूर्वांचल भाषा संगम गोष्ठी म' पाग सम्मान सँ सम्मानित केलनि। 

एहि मौका पर आयोजित कार्यक्रम म' शिक्षा, साहित्य, मीडिया व सामाजिक सरोकार सँ जुड़ल कैको नामचीन हस्ति सभ शिरकत केलनि। प्रबुद्ध वक्ता लोकनि दिल्ली-एनसीआर म' रहनिहार प्रवासी पूर्वांचल वासी सभसँ आपसी एकजुटता, भाईचारा आओर हुनकर समग्र विकास सँ जुड़ल मसला पर अप्पन सुझाव देलनि।

गौरतलब अछि कि मिथिला केर सांस्कृतिक पहचान ’पाग’ केर महत्व क' बुझैत डॉ. बीरबल झा 'मिथिलालोक फाउंडेशन' केर माध्यम सँ ’पाग बचाउ अभियान’ चलेना छथि। हुनके अथक प्रयास केर फल अछि कि भारत सरकार द्वारा पाग क' मिथिलाक धरोहर मानैत एहिपर डाक टिकट जारी काएल गेल।

अपने क' बता दी किरण प्रकाशन के किताब आओर पत्रिका सभक अध्ययन करि प्रतियोगिता परीक्षा म' सफल भ' कैको लोग एहि कार्यक्रम म' पहुंचल छथि। कार्यक्रम म' पहुंचल गणमान्य लोकनि श्री सत्यनारायण साह आओर हुनकर प्रकाशन केर प्रति अप्पन आभार जतौलनि। कार्यक्रम म' डॉ. बीरबल झा के संस्थान ब्रिटिश लिंग्वा स' लाभान्वित गणमान्य लोकनि सेहो पहुंचल छथि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ