'दहेज मुक्त मिथिला' के धावक आर.के दीपक केर नेतृत्व म' स्वच्छता अभियान चलाओल गेल
दरभंगा। 03 अक्टूबर। कैल्हि 2 अक्टूबर गांधी जयंती केर उपलक्ष म' 'दहेज मुक्त मिथला' के धावक आर.के दीपक केर नेतृत्व म' बिरौल अनुमंडल के भवानीपुर पंचायतक नवटोल गाम म' स्वच्छता अभियान केर संगे - संग माननीय मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के दहेज विरोधी कानूनक स्वागत करैत दहेज क' सेहो एहि कूड़ा - करकट जोका मिली जुलीके समाज सँ सफाया करबाक नारा लगबैत ग्रामीण सभके ऐहिक लेल प्रेरित कायल गेल।
एहि अभियान म' नावटोल गामक 'संकट मोचन युवा संघ' के सदस्य लोकनि सेहो पूर्ण रूप सँ सहयोग केलनि, जाहिमे गंगा मंडल, राम सिंघासन मंडल, नंदन मंडल, राजा मंडल, सोहन पोद्दार, राजा, दिया जयदीप, कुलदीप आओर बहुत रास ग्रामीण एहि अभियान म' भाग लेलनि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।