हुनक परिवार म' पत्नी रिपी देवी 2 बेटी संध्या जे कि विवाहित छथि आओर सुषमा जे कि कॉलेज केर छात्रा छथि आओर एक बेटा अभिषेक जे कि बेंगलुरु म' इंजीनियरिंग केर पढ़ाई क' रहल छथि। पति के शहीद भेलाक दुःख म' पत्नी आओर हुनक परिवार के सभ परिजनक कानि - कानिके हाल खराब अछि। बृज किशोर यादव के बड़का भाई राज किशोर यादव सेहो राजस्थान जैसलमेर म' बीएसएफ म' एएसआई छथि।
बृज किशोर यादव के परिवारक लोग क' हुनकर शहीद होयबाक कनिको दुःख नहि अछि किएक जे ओ सभ अप्पन परिवारक सदस्य क' देशक लेल न्योछावर केना छथि। शहीद बृज किशोर यादव कमलचक, थाना -बाराहाट, जिला भागलपुर मिथिला के निवासी छथि। हुनकर पार्थिव शरीर कैल्हि हुनक पैतृक गाम कमलचक पहुँचत।
आय साहिबगंज स्थित हुनक आवास पर परिजन संगे ग्रामीण सभक भीड़ उमड़ल अछि। मौका पर साहिबगंज जिला उपायुक्त डॉक्टर शैलेश कुमार चौरसिया आओर पुलिस अधीक्षक पी मुरुगन पहुंचला। जता ओ सभ शहीद बृज किशोर यादव के परिवार क' सांत्वना देलनि आओर कहलनि कि कुनूभि प्रकारक आवश्यकता भेला पर ओ जिला प्रशासन क' सूचित करैथ। जिला प्रशासन हुनका सभक दुखक घड़ी म' ठाढ़ अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।