पटना। बिहार के नव राज्यपाल सतपाल मल्लिक बुध दिन पद आर गोपनीयता के शपथ लेला। ओ बिहार के 38वॉ राज्यपाल बनला। राजभवन स्थित राजेंद्र मंडपम में पटना हाईकोर्ट के चीफ जस्टिस राजेंद्र मेनन हुनका पद आर गोपनीयता के शपथ दियेला। .
एही अवसर पर सीएम नीतीश कुमार समेत हुनक कैबिनेट के अन्य सदस्य मौजूद छलाह। मल्लिक मंगल दिन साँझ में ही पटना पहुंचल छलाह। पटना एयरपोर्ट पर हुनकर बिहार के सीएम नीतीश कुमार स्वागत कैला। आहा सभ के बता दी श्री रामनाथ कोविंद के राष्ट्रपति बनला के बाद बिहार में राजयपाल के पद रिक्त भेल छल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।