मुश्किल म' लालू परिवार, राबड़ी आओर हेमा के तीन संपत्ति जब्त

पटना। 07 अक्टूबर। लालू यादव के परिवारक मुश्किल दिनों दिन बढ़ते जे रहल अछि। एक दिस दिल्ली म' लालू आओर तेजस्वी स' सीबीआई पूछताछ केलनि त' दोसर दिस आयकर विभाग द्वारा कार्रवाई करैत राबड़ी देवी आ हुनकर बेटी हेमा केर तीन जमीन क' जब्त कायल गेल। 

कैल्हि शुक्र दिन दानापुर आओर फुलवारी शरीफ स्थित तीन भू-खंड क' आयकर विभाग द्वारा जब्त कायल गेल। ई तीनों भू-खंड बिहार के पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी आ हुनकर बेटी हेमा यादव के नाम पर अछि। गौरतलब अछि कि बेनामी संपत्ति के मामला म' सीबीआई, ईडी आओर  आयकर विभाग के शिंकजा लालू यादव के परिवार पर दिनों दिन कसते जे रहल अछि। 

अपने क' बता दी कि गुरु दिन करीब सात घंटा धरी आरजेडी सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव स' सीबीआई पूछताछ केलनि। ओतहि कैल्हि शुक्र दिन लालू के बेटा आओर बिहार के पूर्व उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव स' सीबीआई मुख्यालय म' पूछताछ कायल गेल। रेलवे टेंडर घोटाला मामला म' लालू आओर तेजस्वी सीबीआई केर समक्ष पेश भेल छला। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने