दरभंगा म' दोकान पर चाय पीब रहल 6 गोटा क' चीपलक गाड़ी, एक केर मौत, पांच घायल

दरभंगा। 07 अक्टूबर। आय भोर करीब 10 बजे सड़क कात दोकान पर चाय पीब रहल 6 गोटा क' एकाएक एक सवारी गाड़ी चीपैत निकैल गेल, जिसमें एक व्यक्ति केर मौके पर मौत भ' गेलनि आओर पांच गोटा बुरी तरहे घायल बताओल जे रहल अछि। मौके स' ड्राइवर गाड़ी छोईड़ फरार बताओल जे रहल अछि।

ई घटना दरभंगा जिलाक अलीनगर प्रखंड कार्यालय लग घटल जता आय भोर करीब10 बजे तेज गति सँ आएब रहल सवारी गाड़ी सड़क कात चाय पीब रहल आधा दर्जन लोग क' चीप देलनि, जाहिमे एक केर मौत भ' गेलनि। मृतक केर शिनाख्त मेराजुल अंसारी के रूप म' भेल अछि। घायल सभक नाम शाबीर अंसारी,  अशरफ आलम व छेदी साहू अछि। घायल सभके इलाज अलीनगर पीएचसी म' चैल रहल अछि। एहि घटना स' आक्रोशित लोग सभ सवारी गाड़ी क' घेरि क' राखने छथि। पुलिस घटनास्थल पर पहुंच गेल अछि, मौके स' ड्राइवर फरार बताओल जे रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ