जोरहाट पुलिस अधीक्षक पी.के भुइयां आय सोम दिन कहलनि कि पंकज मिश्रा क' बटालियन कमांडर बी. बेहरा द्वारा दर्ज कराओल गेल प्राथमिकी केरआधार पर रोहरिया के सीआरपीएफ कैंप सँ गिरफ्तार कायल गेल अछि। भुइयां कहलनि कि पंकज केर खिलाफ आईटी अधिनियम केर विभिन्न धारा सभक तहत मामला दर्ज कायल गेल अछि।
प्राप्त खबैर केर मुताविक पुलिस द्वारा मिश्रा क' अदालत म' पेश करबाक बाद न्यायिक हिरासत म' भेजल गेल अछि। आरा के रहिवासी पंकज मिश्रा नहि सिर्फ मोदी आओर राजनाथ सिंह केर खिलाफ सोशल मीडिया पर आपत्तिजनक टिप्पणी केलनि, बल्कि सीआरपीएफ के शीर्ष अधिकारी सभ पर जवान सभसँ अप्पन निजी काज करेबाक सेहो आरोप लगौलनि।
सोशल मीडिया पर हुनकर पोस्ट वायरल भेलाक बाद पंकज क' निलंबित क' देल गेलनि। अपने क' बता दी सुकमा हमला के बाद स' पंकज लगातार अधिकारी आओर नेता सभक ऊपर सवाल उठबैत रहथिन।
अपने क' बता दी पंकज सोशल मिडिया पर अप्पन एक वीडियो पोस्ट केना रहथिन कि सुकमा हमला के बाद सीधा एक्शन लेबाक चाही। खून केर बदला खून होयबाक चाही। गृहमंत्री राजनाथ सिंह केर कार्यकाल म' सभसँ बेसी जवान मारल गेल छथि। संगहि पंकज मिश्रा अप्पन वीडियो म' शीर्ष अधिकारी सभ क' कहलनि कि हम सभ नरेंद्र मोदी जी क' वोट देना छलहुँ। मुदा अहाँ सभ हुनकर साख क' खराब क' रहल छी। अहाँ सभ हुनका सही जानकारी नहि दैत छी।
आगा ओ कहलनि कि राजनाथ जी अहाँकेँ जवान सभके श्रद्धांजलि देबाक बजाय हुनका सभक घर पहुंच परिवार के लोग सभसँ भेंट करबाक चाही। हुनकर ई वीडियो वायरल भ' गेल छल। जाहि वीडियो म' ओ सभ जवान स' अपील सेहो केना रहथिन कि सभ कियो आवाज उठाऊ नहि तेँ एक दिन सभ कियो मारल जायब।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।