बिहार बोर्ड : 2018 के परीक्षा कैलेंडर भेल जारी, 7 फरवरी स' इंटर आओर 21 फरवरी स' मैट्रिक परीक्षा होयत

पटना। 16 अक्टूबर। [प्रणव कुमार चौधरी] बिहार विद्यालय परीक्षा समिति   2017-18 के लेल परीक्षा कैलेंडर जारी क' देना अछि। बरख 2018 म' नवा  सत्र शुरू होमै स' पहिने इंटर आओर मैट्रिक केर परीक्षा ल' लेल जायत। इंटर परीक्षा 7 स' 19 फरवरी धरी, जखनकि मैट्रिक परीक्षा 21 स' 28 फरवरी धरी लेल जायत। बिहार विद्यालय परीक्षा समिति  केर अध्यक्ष आनंद किशोर कहलनि कि चूंकि 2018 म' 2 मार्च क' होली अछि, एहिलेल एहि सँ पहिने ई दुनू परीक्षा ल' लेल जायत।

बिहार विद्यालय परीक्षा द्वारा इंटर आओर मैट्रिक परीक्षा के लेल फाॅर्म भरबाक तिथिक सेहो घोषित क' देना अछि। इंटर परीक्षा लेल फाॅर्म बिना विलंब दंड के 3 स' 20 नवम्बर तक आओर विलंब दंड के संग 21 स' 28 नवम्बर तक भरल जायत। ओतहि मैट्रिक के परीक्षा लेल फॉर्म 29 दिसंबर, 2017 स' आठ जनवरी, 2018 तक भरल जायत। जखनकि 9 स' 12 जनवरी धरी विलंब दंड केर संग फाॅर्म भरल जायत। रजिस्ट्रेशन केर  तिथि एखन नहि घोषित कायल गेल अछि।  

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ