सुधा दूधक बढ़ल दाम, कैल्हि शुक्र दिन सँ भेटत दू स' तीन टाका महग

पटना। 21 सितम्बर। डीजल - पेट्रोल के बढ़ैत दाम सँ परेशान बिहारक लोग सभके आब आर एक महंगाई केर माइर झेला पड़त। कैल्हि शुक्र दिनसँ सुधा दूधक दाम म' दू स' तीन टाकाक बढ़ोत्तरी होमे जे रहल अछि।

नवा रेट के मुताबिक कैल्हि सँ स्मार्ट मिल्क 39 टाका के बदला 41 टाका म' भेटत। ओतहि, टोंड मिल्क 35 टाका के बदला ३७ टाका म' भेटत। सुधा गोल्ड केर दाम म' तीन टाकाक बढ़ोत्तरी कायल गेल अछि। आब सुधा गोल्ड 45 टाका के बदला 48 टाका म' भेटत। संगहि गाय केर दुध सेहो आब 37 टाकाक बदला 40 टाका प्रति लीटर भेटत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने