अपने क' बता दी पूरा देश क' झकझोयर क' राखै बला एहि घटना म' एखन धरिक जांच म' हत्या केर उद्देश्य सामना नहि आयल अछि। आरोपी कंडक्टर अशोक पुलिस केर गिरफ्त म' छथि। सभसँ बड़का सवाल ई उठैत अछि कि यदि अशोक हत्या केलनि, त' हत्या केर कारण की छल। पुलिस एहि बिंदु सँ जांच आगू बढ़ा रहल अछि। कैल्हि मंगल दिन प्रद्युम्न के पोस्टमॉर्टम रिपोर्ट सेहो आयल आओर ओहिमे साफ अछि कि हुनका संग यौन अपराध नहि भेल छल। एहिसँ हत्या के मकसद ल'क' गुत्थी आओर उलझैत जे रहल अछि।
एक पुलिस अधिकारी केर मुताबिक स्कूल केर सुरक्षा म' कमी क' देखैत एहि मामला म' रायन इंटरनैशनल स्कूल सँ जुड़ल बहुत रास अधिकारी गिरफ़्तार कायल जे सकैत छथि।
अपने क' बता दी एहि मामला म' सुप्रीम कोर्ट द्वारा केंद्र, मानव संसाधन विकास मंत्रालय, हरियाणा सरकार, CBI आओर सीबीएसई क' नोटिस जारी कायल गेल अछि। कोर्ट द्वारा सभ पक्ष सँ तीन सप्ताह के भीतर जवाब मांगल गेल अछि। मांगा है। प्रद्युम्न के पिता वरुण ठाकुर एहि मामलाक जांच सीबीआई वा विशेष जांच दल (एसआईटी) सँ करेबाक मांग क' रहल छथि।
गौरतलब अछि कि बॉम्बे हाईकोर्ट द्वारा रायन स्कूल समूह के सीईओ रायन पिंटो केर गिरफ्तारी पर आय (बुधदिन) धरिक लेल रोक लगाओल गेल छल। रायन पिंटो द्वारा सोम दिन अदालत म' अग्रिम जमानत केर अर्जी दायर कायल गेल छल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।