सीसीटीवी फुटेज केर मुताबिक, जाहि बस म' आरोपी कंडक्टर अशोक कुमार मौजूद छल ओ बस शुक्रदिन स्कूल भोर 7. 40 बजे पहुंच गेल छल। बस के ड्राइवर बस क' स्कूल परिसर म' पार्क क' देना छल। ओहि समय आरोपी कंडक्टर स्कूल के मेनगेट स' भीतर आबैत छथि आओर बाथरूम दिस जायत छथि। मुदा प्रद्युम्न भोर 7.55 बजे स्कूल पहुंचल। प्रद्युम्न के पिता वरुण हुनका आओर हुनकर बहिन क' स्कूल के मेनगेट पर छोईड़ जायत छथि। प्रद्युम्न के बहिन अप्पन क्लास म' चल जायत छथि जखनकि प्रद्युम्न बाथरूम दिस जायत छथि।
बाथरूम लग लागल सीसीटीवी कैमरा म' देखार दैत अछि कि आरोपी कंडक्टर आओर प्रद्युम्न एक के बाद एक करि बाथरूम म' दाखिल होयत छथि। एहि फुटेज म' भोर 7.55 आओर 8.10 के बीच अशोक क' बाथरूम स' बाहर आबैत देखल जे रहल अछि। गौर करबाक गप ई कि एहि दौरान ओहि बाथरूम म' तेसर कियो प्रवेश नहि होयत अछि। सीसीटीवी फुटेज म' देखार द' रहल अछि कि जहिना बाथरूम स' आरोपी अशोक बाहर आबैत छथि ओहिक किछु देर बाद प्रद्युम्न खून सँ लथपथ एक हाथ स' अप्पन गर्दैन पकैड़ बाथरुमक बाहर फर्श पर घसकैत आबैत अछि। प्रद्युम्न पर सभसँ पहिने स्कूलक एक माली केर नजैर पड़ैत अछि, माली बाथरूम के बाहर फर्श पर पड़ल खून स' लथपथ प्रद्युम्न क देख शोर मचायब शुरू करैत छथि।
माली के आवाज सुइन आसपास के कक्षा सँ किछु मास्टर बाहर आबैत छथि आओर खून सँ लथपथ प्रद्युम्न के आस-पास एकठ्ठा भ' जायत छथि। एहि हंगामा के बीच आरोपी बस कंडक्टर अशोक दुबारा फुटेज म' देखार द' रहल अछि। ओ प्रद्युम्न क' कोरा म' उठा हुनका एक मास्टर के कार म' राखैत देख़ार द' रहल अछि।
बाद म' सात वर्षीय मासूम प्रद्युम्न क' मास्टर के कार सँ बगल के एक अस्पताल म' ल' जायल गेल छल, मुदा ताधरि बहुत देर भ' गेल छल।डॉक्टर सभ ओता प्रद्युम्न क' मृत घोषित क' देलनि। एसआईटी द्वारा जांच कायल जे रहल सीसीटीवी फुटेज सँ पहिल नजैर म' एखन धरी किछु निष्कर्ष नहि निकलल अछि। एसआईटी टीम लागातार सीसीटीवी फुटेज केर जांच म' लागल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।