हिनका एहि पद पर तीन बरखक लेल नियुक्त कएल गेल अछि। खालि रेलवे आ कर सम्बन्धी मैमला केँ छोरि बांकि संघ सरकार केर अंतर आबयवला तमाम विभागक मुकदमा के खिलाफ सरकार दिस सँ अपन पक्ष अदालत मे रखबाक काज सम्हारताह। श्री चौधरी एकरा दरभंगाक अदालत मे सरकार दिस सँ पक्ष रखताह। एहि बातक जनतब भेटते जिलाक अधिवक्ता आ सहोरा ग्रामवासी मे खुशी’क ठेकान नहि छन्हि।
श्रीचौधरी केर ग्रामीण पत्रकार निशांत झा प्रसन्नता व्यक्त करैत बजलाह जे, इ सहोरा गामक लेल गर्व केर विषय थिक, सरकार चौधरी जी पर भरोसा एतेक भरोसा जतौलनि ताहि लेल हम हुनका प्रति आभार वक्त करै छियैन।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।