मधुबनी : करंट लगला स' एक केर मौत, तमसायल लोग केलनि एनएच 104 जाम

मधुबनी। 15 सितम्बर। मधुबनी जिलाक मनोहरपुर गाम म' आय शुक्र दिन हाईटेंशन तारक चपेट म' अएला सँ एक अधेड़ व्यक्ति केर मौत भ' गेल। एहि घटना स' तमसायल लोग सभ एनएच 104 क' जाम करी खूब बबाल केलनि। 

बताओल जे रहल अछि कि मनोहरपुर गाम म' जर्जर ग्यारह हजार वॉल्ट के हाईटेंशन तारक चपेट म' अएला स' एक व्यक्ति केर मौत भ' गेलनि।मृतक केर पहिचान 50 वर्षीय पंचा मुखिया के रूप म' कायल गेल अछि।  

अस्थानीय ग्रामीण सभ मुआवजा केर मांग ल'क' फुलहर स्थित एनएच 104 क' जाम करी विरोध प्रदर्शन क' रहल छथि। प्राप्त सुचना केर  मुताबिक मृतक भोरे - भोर बांस के दातुन ल' लकड़ी तोड़बाक लेल गेल छलाह। जता गाछ पर लटकल ग्यारह हजार वॉल्ट के हाईटेंशन तारक 11 हजार के हाईटेंशन तार केर चपेट म' अयला सँ मौके पर हुनकर मौत भ' गेलनि। 

एनएच 104 स' जाम हटबे पहुँचल बिजली विभाग के जूनियर इंजीनियर क' लोग सभक तामस केर सामना करे पड़लनि। उक्त अधिकारी संग लोग सभक खूब झड़प भेल। फिलहाल, मुआवजा केर मांग ल'क' लोग सड़क जाम करी हंगामा क' रहल छथि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने