सीबीआई स' हम नहि हमरा स' सीबीआई परेशान : पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी

पटना। 26 सितम्बर। बिहार के पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी कहलनि कि हम सीबीआई स' परेशान नहि छी बल्कि सीबीआई आओर विपक्षी पार्टी सभ हमरा स' परेशान अछि। राबड़ी देवी आरोप लगेलनि कि जानीबूझी क' हुनकर परिवार क' परेशान कायल जे रहल अछि। ओ कहलनि कि जांच एजेंसी क' हमरा सभके परेशान करबाक लेल हमरा सभक पाछू लगाओल गेल अछि।

राबड़ी देवी कहलनि कि लालू यादव सीबीआई स' परेशान नहि छथि बल्कि विपक्ष आओर सीबीआई हुनका स' परेशान अछि आओर हमर परिवार क' बेवजह निशाना बनाओल जे रहल अछि। एहि दौरान राबड़ी देवी नीतीश सरकार पर सेहो निशाना साधली। ओ कहली कि जदयू केर वजूद सिर्फ बिहार तक अछि, हम्मर लड़ाई हुनका स' नहि अछि। हम्मर लड़ाई सीधा  बीजेपी स' अछि।

गौरतलब अछि कि लालू प्रसाद यादव क' सीबीआई सोम दिन IRCTC के दू होटल के रखरखावक ठेका देबा म' कथित भ्रष्टाचार केर मामला म' पूछताछ लेल दिल्ली मुख्यालय बजेना छलनि। मुदा, लालू सीबीआई के सामना पेश नहि भेलथि। लालू के वकील द्वारा सीबीआई स' दू सप्ताह केर  समय मांगल गेल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने