पूर्णिया : जिला कल्याण पदाधिकारी व बैंक मैनेजर शराब के साथ गिरफ्तार

पूर्णिया। 26 सितम्बर। बिहार म' शराबबंदी केर धज्जि आब सरकारी अधिकारीये उड़ा रहल अछि। पूर्णिया पुलिस शराबक संग जिला कल्याण पदाधिकरी राजेश वर्मा आओर पंजाब नेशनल बैंक केर मैनेजर समेत 4 गोटा क' गिरफ्तार केलनि अछि। 

पूर्णिया सदर थाना पुलिस द्वारा जिला कल्याण पदाधिकारी के सफेद रंगक स्कार्पियो स' 15 बोतल शराब बरामद कायल जेल अछि। गाड़ी म' खुद जिला कल्याण पदाधिकारी, पंजाब नेशनल बैंक के लाइन बाजार शाखा प्रबंधक, कल्याण विभाग के लिपिक सहित एक रेलवे केर कांट्रेक्टर बैसल छला। गिरफ्तारी के समय सेहो जिला कल्याण पदाधिकारी नशा म' छला।

पूर्णिया एसपी निशांत तिवारी कहलनि कि मध निषेध कानून केर तहत चारो क' गिरफ्तार कायल गेल अछि। एसपी निशांत तिवारी कहलनि कि गुप्त सूचना केर आधार पर चारो क' गिरफ्तार कायल गेल। जिला कल्याण पदाधिकारी सरकारी गाड़ी म' नुका पंद्रह बोतल शराब राखने छला जाहिके पुलिस द्वारा बरामद कायल गेल अछि। चारो गोटा क' न्यायिक हिरासत म' भेजल गेल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने