बाढ़ि प्रभावित सभ जिलाक एक - एक गाम क' गोद लेत पप्पू यादव के जन अधिकार पार्टी

पटना। 09 सितम्बर। सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव के जन अधिकार पार्टी बाढ़ि प्रभावित कटिहार, अररिया, किशनगंज आओर  दरभंगा जिलाक पांच-पांच गाम, जखनकि आन 17 जिलाक एक-एक गाम गोद लेत। पार्टी एहि गाम सभमे पीड़ित सभक लेल चापाकल, कपड़ा, प्लास्टिक आओर खाद्य सामग्री उपलब्ध करायत।

पटना म' ऐहिक घोषणा करैत पप्पू यादव कहलनि कि तीन जिला - कटिहार, किशनगंज आओर अररिया के एक-एक गाम क' गोद ल' ओहि गाम म' चापाकल, कपड़ा, प्लास्टिक आओर खाद्य सामग्री केर वितरण शुरू क' देल गेल अछि। आन जिला म' सेहो राहत काज शुरू काएल जे रहल अछि।

पप्पू यादव कहलनि कि बाढ़ि प्राकृतिक नहि, कृत्रिम आपदा थीक। बाढ़िकेँ बजाओल जाएत अछि। बाढ़ि अएला सँ नेता, ठेकेदार आओर अधिकारी सभके लुटबाक मौका भेटैत अछि। बाढ़िक लेल दोषी मंत्री आओर अधिकारी सभक खिलाफ मुकदमा करबाक मांग करैत पप्पू यादव कहलनि कि जन अधिकार पार्टी जनता के मुद्दा सभ ल'क' संघर्ष करैत रहत। 

आगा ओ कहलनि कि फरक्का बराज केर पुननिर्माण आओर बाढ़िकेँ राष्ट्रीय आपदा घोषित करबाक लेल पार्टी 20 सितंबर स' औरंगाबाद सँ आंदोलन केर शुरुआत करत। ऐहिक बाद आंदोलन क' राज्यव्यापी बनाओल जाएत। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ