ब्लड बैंक केर लापरवाही स' दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल म' खून सँ भेल 8 लोगक खून

दरभंगा। 09 सितम्बर। दरभंगा म' ब्लड बैंक केर लापरवाहीक एक बड़का मामला सामना आएल अछि। दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल म' एखन धरी खून चढ़ेबा सँ  8 लोगक मौत भ' चुकल अछि। एहि बातक खुलासा खुद अस्पताल के डॉक्टर सभ केलनि आओर ब्लड बैंक पर लापरवाही केर आरोप लगबैत हंगामा सेहो केलनि। 

एहि मामला केँ प्रकाश म' अएलाक बाद अस्पताल प्रबंधक तुरंत मामला के जांचक आदेश दैत दोषी सभक खिलाफ उचित कानूनी कार्रवाई करबाक बात कहलनि। एहि मामलाक केर खुलासा तखन भेल जखन एक मरीज केर परिजन ब्लड बैंक सँ खून आनी ओहिके चढ़ेबाक लेल जूनियर डॉक्टर क' देना छल। 

जहिना डॉक्टर ओ खून मरीज क' चढ़ायब शुरू केलनि मरीजक हालत बिगड़े लागल जाहिक बाद खून चढ़ायब बंद काएल गेल जाहिसँ मरीजक जान बाल - बाल बचल। ऐहिक बाद जूनियर डॉक्टर ब्लड बैंक केर घोर लापरवाही केर खिलाफ आवाज उठौलनि आओर कहलनि कि ब्लड बैंक केर लापरवाही सँ एखन धरी 8 लोगक जान जे चुकल अछि। जिनका सभके गलत वा एक्सपाइरी खून घोखा सँ चढ़ाओल गेल। 

ओतहि ब्लड बैंक केर स्टोर इंचार्ज डॉक्टर ओम प्रकाश चौरसिया डॉक्टर सभक आरोप क' खारिज करैत कहलनि कि खून रखबाक लेल जतबा तापमान केर जरुरत होयत अछि ओहिमे कने कम जरूर छल मुदा खून खराब नहि भेल छल। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने