ब्राह्मणक कोखि सँ जन्म लेब गुनाह थीक ?

मधुबनी 04 सितम्बर [सुनील झा मैथिल] आए ब्राह्मणक कोखि सँ जन्म लेब गुनाह बुझा रहल अछि। अहाँ नीक छी ऐहिक कोनो परवाह नहि हम ब्राह्मण छी तेँ हम गलत छी। जाहीतरहक भय कश्मीर म' कश्मीरी पंडित सभके लागल होएत ओहने भय हमहुँ महसूस क' रहल छी। जाहि तरहे   कश्मीर म' कश्मीरी पंडित सभके अप्पन बहु - बेटी छोएर कश्मीर सँ जएबाक लेल कहल गेल छल ठीक ओहि तरहे आए मधुबनी जिलाक  भवानीपुर गाम म' ब्राह्मण सभके कहल जे रहल अछि।

हमरा अहाँक एहि समाज म' 46 बरखक एक मुखबधिर (जे बाजी नहि सकैत छथि) महिला  संग बलात्कार करबाब कोशिस काएल जाएत अछि आओर अप्पन इरादा म' सफल नहि होएबा पर हुनका जान सँ मारबाक कोशिस काएल जाएत अछि। जान सँ मारबाक कोशिस एहेन की जे बाजबा म' सेहो असमर्थ छथि हुनका मुंह म' कपड़ा ठुसल जाएत अछि। 

एतेक निर्दय तरीका सँ पिटबाक बादो उक्त महिला केँ जान बैच जाएत अछि। उक्त महिला केँ नाजुक स्थिति क' देखैत पूरा ग्रामीण आक्रोशित भ' अपराधी केर घर पहुँच तोड़ फोड़ केलनि। तोड़ फोड़ करनिहार लोगक मोन म' कोनो जाती आओर धर्मक भेद भाव नहि छल। तोड़ फोड़ करनिहार बस एतबे बुझैत छलखिन कि ई घटना किनको आन संग नहि हमरे बहु - बेटी संग भेल अछि। दुःखक गप ई जे एहि घटना क' अंजाम देनिहार अपराधी क' पकड़बा म' पुलिस एखनो धरी असमर्थ अछि, एखन धरी सिर्फ एक अपराधी पुलिस केर पकड़ म' आएल छथि।

एहि बिच किछु राजनितिक आओर जातिवादक दलाल एहि आक्रोश क' ब्राह्मण भीड़ बतबैत जातिगत रंग द' करीब 70 ब्राह्मण परिवारक बच्चा सभके एहि घटना म' फसा रहल छथि। एहि घटना म' जाहि बच्चा सभके नामजद काएल गेल अछि ओहिमे कैको केँ उम्र 16 बरख सँ कम अछि। एहि तरहे भवानीपुर म' जातिक नाम पर खुलेआम जुर्म भ' रहल अछि। 

आए पुलिसक पूरा तंत्र बांकीक बलात्कारी सभके पकड़बाक बदला निर्दोष ग्रामीण सभके खोजबा म' लागल अछि। दुनिया भरिक धारा जाहिमे  SC/ST धारा सेहो जबरन थोपी ग्रामीण सभके गाम सँ भागबाक लेल मजबूर करल जे रहल अछि। राति - राति धरी निर्दोष ग्रामीण सभक घर पर पुलिस द्वारा छापामारी काएल जे रहल अछि। दहसत सँ गाम क' एहि तरहे खाली कराओल गेल अछि कि कुनु भी घटना क' अंजाम देब बहुत आसान भ' गेल अछि। आए यदि कुनु अप्रिय घटना भवानीपुर म' घटल तेँ ओहिक जिमेवार के ? 

भवानीपुर गामक माहौल क' डरावना बना देल गेल अछि। गाम म' ब्राह्मण परिवार क' परेशान काएल जे रहल अछि। नित्य दिन किनको नहि किनको घर चोरी भ' रहल अछि। पुलिस आए धरी एको गोट चोरीक पता नहि लगा सकल। चोरी - डकैती केर खबैर पर पुलिस क' सकरी थाना सँ भवानीपुर आबै म' 3 घंटा सँ बेसी लागैत अछि, मुदा आए निर्दोष सभके पकड़बाक लेल पुलिस पूरा ताकत लगा देना अछि। 

एक बलात्कारक घटना के आक्रोशक घटना क' कश्मीर पंडित सभ जोका एतहुँ अप्रत्यक्ष रूप सँ कहल जे रहल अछि कि अहाँक बहु - बेटिक बलात्कार हुवे तेँ अहाँ केँ आक्रोशित नहि होएबाक चाही, किएक जे ई शुभ काज कुनु महादलित वा दलित केर हाथे भ' रहल अछि। एहिठाम बलात्कारक दोषी सभक लेल ई मायने राखैत अछि की दोषी कुन जाती सँ ताल्लुका राखैत छथि। यदि दलित छथि वा महादलित तेँ किनको बलात्कार भेला पर अहाँकेँ तामस नहि खुश होएबाक चाही। हर तरहे गलती अहींक अछि। ऐहिक विरुद्ध कियो यदि आवाज उठाएब तेँ हरिजन एक्ट केसक दुरूपयोग करि अहाँक जिनगी क' देल जाएत। 

हम अहाँ जाती - पाती नहि मानैत छी ई हम्मर अहाँक गलती थीक। हमर अहाँक बहु - बेटिक बलात्कार वा बलात्कारक कोशिस होएत अछि तेँ गुनेहगार हमहि अहाँ छी किएक जे हम अहाँ ब्राह्मण जे ठहरलो ? एहि स्थिति म' किनको सहयोग तेँ भेटत नहि उल्टा अहिके फसाओल जाएत। जिनकर जमीर मरल छैन्ह ओ जानी बुझीकेँ अहाँकेँ जातिवादक दलदल म' फसेबाक सफल कोशिस करता। 

आए यदि हमरा सनक लोग जातिगत भूमिका निभा रहल छी तेँ ई ओहि लोग सभके कही रहल छी जे आय ओहि कृष्ण केर मजाक बना रहल छथि जे द्रोपदी केर इज्जत क' तार तार होमै सँ बचेना रहथिन। ई हुनका सभक लेल लिख रहल छी जे बलात्कारी सभक खुलिके समर्थन क' रहल छथि। ई हुनका सभके कही रहल छी जे दुस्सासन जोका द्रोपदी केर चीर हरण करे चाहैत छथि। कनि सोचु यदि अहाँक बहु - बेटिक बलात्कार होएत तेँ अहाँकेँ केहेन लागत?

आए जेकियो एतेक संवेदनशील विषय क' जातिवाद केर नौका पर सवार भ' बचबे चाहैत छथि ओ उवे लोग छथि जे द्रोपदी केर चीरहरण म' सभा मो' मुकदर्सक बनी मौन रूप सँ दुस्सासन केर संग द' रहल छलथि। अहाँ इंसानियत केर गर्दैन दाबैत छी। अहाँ नहि चाहैत छी समाज सँ जाती - पातीक भेद - भाव हटे, अहाँ चाहैत छी एहि खाई क' आओर पैघ करि जाहिमे अहाँ सफल सेहो भ' रहल छी।


सुनील झा "मैथिल"
गाम - भवानीपुर, उगणा महादेव स्थान, मधुबनी।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ