मुजफ्फरपुर : बीच सड़क पर ट्रक सँ टकरा केँ पलटल बस, छह लोग घायल

मुजफ्फरपुर। 04 सितम्बर। मुजफ्फरपुर - मोतिहारी फोरलेन पर एक बड़का हादसा भेल। ट्रक आओर बसक टक्कर म' आधा दर्जन लोग घायल बताओल जे रहल अछि। ई घटना कांटी थाना क्षेत्रक अकुराही गाम लग घटल अछि। प्रत्यक्षदर्शी सभक मुताविक मोतिहारी सँ आएब रहल बस केर एकाएक एक कंटेनर स' टक्कर भ' गेल, दुनू गाडी केर रफ़्तार बहुत तेज़ छल। एहि दुर्घटना म' आधा दर्जन यात्री गंभीर रूप सँ घायल बताओल जे रहल अछि। जिनका सभके इलाजक लेल अस्पताल म' भर्ती कराओल गेल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने