दरभंगा। 04 सितम्बर। दरभंगा केँ डीएमसीएच म' जूनियर डॉक्टर सभक गुंडागर्दी केर खबैर आम भ' चुकल अछि। कैल्हि रविदिन सेहो दरभंगा मेडिकल कॉलेज म' एहि डॉक्टर सभक गुंडागर्दी देखबाक लेल भेटल। जता लापरवाही केर विरोध करबा पर पीजी के जुनियर डाक्टर सभ लाठी डंटा सँ "मिथिला स्टूडेंट यूनियन" केँ कार्यकर्ता सभक पिटाई केलनि।
बताओल जे रहल अछि कि एहिठाम एक नौ मासक बच्चा क' गलत इंजेक्शन द' मौतक घाट उतैर देल गेल। एहि घटनाक बाद जखन "मिथिला स्टूडेंट यूनियन" केँ कार्यकर्ता सभ डॉक्टर आओर डीएमसीएच प्रशासन केर खिलाफ आवाज बुलंद केलनि त' डाक्टर सभ गुंडागर्दी पर उतैर MSU केर कार्यकर्ता सभक पिटाई क' देलनि।
प्राप्त सूचनाक मुताविक दरभंगा केँ अतरबेल गाम निवासी अमरेश यादव शनिदिन अप्पन बेटा क' निमोनिया होयबाक कारण इलाजक लेल डीएमसीएच म' भर्ती करौलनि। बच्चा कैल्हि रविदिन भोर तक बिलकुल ठीक छल। एहि बीच नर्स द्वारा इंजेक्शन देबाक बाद बच्चा केर मौत भ' गेल। जाहिक बाद परिजन सभ आरोप लगौलनि कि हुनका सभके एखन धरी डीएमसीएच दिस सँ बच्चा केर मौतक कारण नहि बताओल गेल आओर नहिये कुनु रिपोर्ट देल गेल।
खबैर अछि कि एहि घटना केँ विरोध करबा पर "मिथिला स्टूडेंट्स युनियन" के अमित सिंह, सागर नवदिया आओर अविनाश कुमार केर खूब पिटाई काएल गेल। MSU कार्यकर्ता सभक मुताविक डीएमसीएच प्रशासन केर इशारा पर 20-25 पीजी छात्र हुनका सभक पिटाई करैत रहल आओर पुलिस सभ मुकदर्शक बनल देखैत रहल। खबैर अछि कि माएरपीटक फोटो खिचबा पर एक स्थानीय चैनल के पत्रकारक कैमरा छीन लेल गेल आओर हुनको संग माएरपीट काएल गेल।
एहि बाबत पत्रकार केर आरोप अछि कि हुनका एक कमरा म' बंद करि हुनका संग माएरपीट काएल गेल। एहि घटनाक खबैर भेटते किछु स्थानीय पत्रकार पुलिस के संग डीएमसीएच पहुंचला तखन जेक' पत्रकार केर जान बचाओल गेल।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।