आयकर विभाग मांगलनि लालू यादव सँ रैली केँ खर्चक हिसाब

पटना। 01 सितम्बर। पटना केर गांधी मैदान म' आयोजित राष्ट्रीय जनता दल (राजद) केँ ‘देश बचाओ, बीजेपी भगाओ’ रैली म' भेल खर्चा ल'क' आयकर विभाग पूछताछ केलनि अछि। रैली म' खर्चक लेल आयकर विभाग राजद क' नोटिस जारी केलनि अछि आओर एहि विशाल रैली म' भेल खर्चक स्पष्टीकरण मांगने अछि। 

विभाग द्वारा आरजेडी सँ पूछल गेल अछि कि आखिर रविदिन आयोजित रैली के लेल एतेक पाई कता सँ जुटाओल गेल। आयकर विभाग द्वारा राजद सँ खर्चे लेल कैको सवाल पूछल गेल अछि। रैली म' हुए खर्च लेल पाई दे देलनि ?  रैली म' आएल वीआईपी मेहमान क' होटल म' के ठहरौलनि ? वगैरह वगैरह। 

पटना केर गांधी मैदान म' आयोजित राष्ट्रीय जनता दल (राजद) केँ ‘देश बचाओ, बीजेपी भगाओ’ रैली म' गैर एनडीए दलक नेता सभक जुटान भेल छल। एहि रैली म' पश्चिम बंगाल केर मुख्यमंत्री ममता बनर्जी, कांग्रेस सँ गुलाम नबी आजाद, समाजवादी पार्टी सँ यूपी केँ पूर्व मुख्यमंत्री अखिलेश यादव, जदयू सँ बागी सांसद शरद यादव आओर सीपीआई नेता डी राजा, कांग्रेस केँ हनुमंत राव, डीएमके केँ एलांगोवन, एनसीपी केँ तारिक अनवर सहित गैर एनडीए दल सभक प्रतिनिधी हिस्सा लेना छलखिन। 

अपने क' बता दी एहिसँ पहिने मंगलदिन आयकर विभाग आओर प्रवर्तन निदेशालय केर संयुक्त टीम लालू यादव के छोटका बेटा सह पूर्व उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव आओर पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी सँ घंटो बेनामी संपत्ति केर मामला म' पूछताछ केना छल। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने