धरना म' उपस्थित नेता सभ कोसी म' आएल बाढ़ि ल' राष्ट्रीय आपदा घोषित करबा सहित कैको मांग ल'क' ज्ञापन सेहो सौपलनि। धरना म' उपस्थित वक्ता लोकनि एक स्वर म' कहलनि कि पीड़ित सभक एखन धरी पुनवार्सित नहि काएल गेल अछि, जाहिक कारण सँ बाढ़ि पीडित एखनो खुजल आसमान केर नीचा रहबाक लेल वेवश छथि।
कोसी म' जाधरि हाईडैम केर निर्माण नहि काएल जाएत ताधरि कोसी वासी सभके बाढ़ि सँ मुक्ति नहि भेटत। हाई डैम निर्माणक लेल जाप केँ राष्ट्रीय संरक्षक पप्पू यादव लगातार लोकसभा म' मुद्दा उठा रहल छथि। पप्पू यादव प्रधानमंत्री सँ भेंट करि सेहो ज्ञापन सौपलनि। पार्टी सेहिक लेल निरंतर आंदोलन करत।
धरना म' उपस्थित नेता सभ कहलनि कि बाढ़ि प्राकृतिक नहि राजनीतिक आपदा अछि। बाढ़ि अरबों टाका लुटबाक जरिया बैन चुकल अछि। बाढ़ि क' राष्ट्रीय आपदा घोषित करबाक चाही रहे मुदा प्रधानमंत्री ऐहिक घोषणा नहि केलनि।
धरना क' जाप केर प्रदेश उपाध्यक्ष हरिहर प्रसाद गुप्ता, जिलाध्यक्ष मो. अब्दुस सलाम, प्रवक्ता शैलेन्द्र शेखर, नगर अध्यक्ष समीर पाठक, युवाध्यक्ष रंजन कुमार, प्रो. भारती झा, मुखिया मनोज पासवान, उमेश यादव सहित आन सभ संबोधित केलनि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।