डॉ. जगन्नाथ मिश्र राज्यपाल क' मधुबनी-द आर्ट कैपिटल पोथी केँ एक प्रति भेंट करि ऐहिक बारे म' जानकारी दैत कहलनि कि ऐहिक प्रकाशन केर मकसद मिथिलांचल क्षेत्र केर सभ्यता, संस्कृति वास्तुकला, चित्रकला आओर ऐतिहासिक-धार्मिक पर्यटन केर लेल अनुकूल जगह सभक बारे म' एक सहज-सुलभ जानकारी दुनिया केर समक्ष आनब अछि। ताकि अगिला पीढि़ सभके सेहो एहिसँ अवगत कराओल जे सके।
राज्यपाल केशरी नाथ त्रिपाठी डॉ. मिश्र केँ एहि प्रयासक सराहना केलनि आओर कहलनि कि हमरा सभक संस्कृति बहुत समृद्ध अछि। एहि पोथीक जरिए संरक्षित करबाक ई प्रयास प्रशंसनीय अछि। डॉ. जगन्नाथ मिश्र हुनका बतौलनि कि मुजफ्फरपुर स्थित ललित नारायण मिश्र कॉलेज ऑफ बिजनेस मैंनेजमेंट दिस सँ मधुबनी-द आर्ट कैपिटल पोथीक प्रकाशन भेल अछि। ऐहिक विमोचन बिहार केर तत्कालीन राज्यपाल डॉ. रामनाथ कोविन्द द्वारा 14 फरवरी क' भेल छल।
आगा ओ कहलनि कि एहि पोथीक एक प्रति ओ पूर्व राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी क' सेहो भेंट केना छलखिन। डॉ. मिश्र कहलनि कि मिथिलांचल म' पर्यटन केर अपार संभावना अछि। ई क्षेत्र ऐतिहासिक धरोहर सभमे समृद्ध अछि। एनामे यदि एहि पर ध्यान देल जाय तेँ एहिसँ मिथिलांचल विश्व पर्यटन केर मानचित्र पर विशिष्ट स्थान बना सकैत अछि। एहि कोशिश लेल मधुबनी-द आर्ट कैपिटल नामक ई पोथी एक अहम कड़ी साबित भ' सकैत अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।