मीसा भारती के करीब 175 करोड़ टाकाक बेनामी संपत्ति जब्त

पटना। 12 सितम्बर। आयकर विभाग द्वारा बेनामी संपत्ति केर मामला म' राजद प्रमुख लालू प्रसाद यादव के बेटी आओर राज्यसभा सांसद मीसा भारती व दामाद शैलेश कुमार केर बेनामी संपत्ति सील करबाक अंतिम आदेश जारी कायल गेल अछि। एहि परिवार पर करीब 1000 करोड़ टाकाक जमीन किनबा म' हेरफेर करबाक आरोप सेहो अछि। आयकर विभाग के अंतिम आदेश नई दिल्ली म' सील कायल गेल संपत्ति के 90 दिनक बाद आयल अछि।


एहि बरख जून म' इनकम टैक्स डिपार्टमेंट द्वारा लालू यादव, हुनकर पत्नी आओर पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी, बेटा आओर पूर्व उप मुख्यमंत्री तेजस्वी यादव, बेटि चंदा यादव, रागिनी यादव, मीसा भारती आओर हुनकर पति शैलेश कुमार के बेनामी संपत्ति सील करबाक मामला म'नोटिस थमाओल गेल छल। ऐहिक बाद विभाग द्वारा दिल्ली के वृजवासन स्थित एक फार्म हाउस, पालम विहार स्थित जमीन समेत करीब दर्जन भरी प्रॉपर्टी क' सील कायल गेल छल। एहिमे दक्षिणी दिल्ली के पॉश इलाका न्यू फ्रेंड्स कॉलोनी म' एक रिहायशी मकान आओर पटना के फुलवारी शरीफ इलाका म' 256.75 डिसमिल भूखंड पर बैन रहल शॉपिंग मॉल सेहो शामिल छल। आयकर विभाग द्वारा जब्त कायल गेल संपत्ति सभक बाजार भाव करीब 175 करोड़ टाका बताओल जे रहल अछि, जखन की कागज म' ऐहिक दाम मात्र  9.32 करोड़ टाका देखाओल गेल अछि। 


मानल जे रहल अछि कि आयकर विभाग अगिला एक-दू हफ़्ता म' अदालत म' एहि बावत केस दर्ज करायत। आयकर विभाग बेनामी संपत्ति मामला म' पहिने राबड़ी देवी, तेजस्वी यादव, मीसा भारती आओर हुनकर पति शैलेश कुमार स' पूछताछ क' चुकल अछि। तेजस्वी आओर राबड़ी देवी स' आयकर विभाग करीब 13 सवाल पूछना छल, जाहिमे किछु के जबाब ओ सभ हां वा नहि म' देलनि बांकीक दस्तावेज पेश करि जबाब देलनि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ