प्रद्युम्न हत्या : 7 दिन म' दाखिल होयत चार्जशीट, आरोपी बस कंडक्टर 3 दिनक लेल रिमांड पर

मधुबनी। 09 सितम्बर। [मिहिर कुमार झा "बेला] गुरुग्राम केर रेयान इंटरनेशनल स्कूल म' कैल्हि शुक्रदिन दूसरी क्लास के छात्रक गला रेत हत्या के बाद आय अभिभावक सभ स्कूल के बाहर खूब हंगामा केलनि। फिलहाल कोर्ट द्वारा आरोपी बस कंडक्टर क' 3 दिनक रिमांड पर भेजल गेल अछि

पुलिस बस कंडक्टर अशोक क. गिरफ्तार क' लेना अछि मुदा बच्चा के माता पिता एहि कार्रवाई स' खुश नहि छथि। बताओल जे रहल अछि कि बस कंडक्टर बच्चा संग गलत हरकत केलनि जाहिक खिलाफ जखन बच्चा हल्ला करबाक प्रयास केलक त' बस कंडक्टर हुनकर हत्या क' देलनि।

दोसर दिस, बस कंडक्टर के परिजन सभक कहब अछि कि अशोक क' फसाओल जे रहल अछि आओर ओहिक आड़ म' असली गुनाहगार क' बचेबाक कोशिश काएल जे रहल अछि।

गुरुग्राम के कमिश्नर कहलनि कि हुनकर कोशिश अछि जे आगामी 7 दिन म' एहि मामला केर चार्जशील कोर्ट म' दायर क' देल जाएत, संगहि ओ एहि केसक पैरवी फास्ट ट्रैक कोर्ट म' करेबाक सेहो कोशिश करथिन। आगा ओ कहलनि कि आरोपी बस कंडक्टर अशोक के एहि मर्डर म' शामिल होयबाक पुख्ता भ' चुकल अछि। किनको आन केर शामिल होयबाक जांच काएल जे रहल अछि। ऐहिक अलावा स्कूल म' सुरक्षा व्यवस्था म' भेल  लापरवाही केर जांचक लेल सेहो एक कमेटी बनाओल गेल अछि।

रेयान इंटरनेशनल स्कूल म' भेल प्रद्युम्न केर हत्याक 29 घंटा बीत जेबाक बाद हरियाणा के मुख्यमंत्री मनोहर लाल खट्टर कहलनि कि ओ बच्चा केँ गुनहगार सभके सजा दिएबाक लेल कुनु भी जांच करेबाक लेल तैयार छथि। पीड़ित परिवार केर प्रति संवेदना जतबैत मुख्यमंत्री मनोहर लाल खट्टर कहलनि कि कुनु भी हालत म' दोषी सभके बख्शल नहि जाएत किएक जे ई कुनु मामूली हत्या नहि अछि। आगा ओ कहलनि अधिकारी सभसँ सात दिनक भीतर जांचक रिपोर्ट मांगल गेल अछि। यदि एहिमे कुनु तरहक कमी पाओल गेल त' हर तरहक जांच करेबाक लेल ओ तैयार छथि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने