'बिहार विद्यालय परीक्षा समिति' बोर्डक पुनर्गठन भेल, आनंद किशोर फेर बनला अध्यक्ष

पटना। 26 सितम्बर। राज्य सरकार द्वारा बिहार विद्यालय परीक्षा समिति केर पुनर्गठन कायल गेल अछि। बिहार सरकार द्वारा एक बेर फेर सँ आनंद किशोर क' बिहार विद्यालय परीक्षा समिति के कमान सौपल गेल अछिI

अगिला 3 बरखक लेल आनंद किशोर बिहार विद्यालय परीक्षा समिति के अध्यक्ष रहता। बिहार सरकार द्वारा जारी अधिसूचना केर मुताविक  अनुसार अध्यक्ष के पद पर वर्तमान म' कार्यरत आनंद किशोर, प्रमंडलीय आयुक्त, पटना क' अप्पन दायित्व सभक अतिरिक्त अध्यक्ष, बिहार विद्यालय परीक्षा समिति केर रूप म' काज संपादित करबाक लेल अगिला  आदेश तक पुनः मनोनीत कायल गेल अछि। 

गौरतलब अछि कि बिहार विद्यालय परीक्षा समिति म' एक के बाद एक घोटाला होयबाक बाद बिहार सरकार द्वारा आनंद किशोर क' जिम्मेवारी सौपल गेल छल। 

अध्यक्ष केर अलावा समिति के आन सदस्य;
  1. निदेशक माध्यमिक शिक्षा, बिहार - पदेन सदस्य
  2. प्रतिकुलपति, मौलाना मजहरुल हक़ अरबी-फारसी विश्वविद्यालय, पटना - सदस्य
  3. प्रतिकुलपति, नालंदा खुला विश्वविद्यालय, सदस्य
  4. प्राचार्य, शिक्षण प्रशिक्षण महाविद्यालय, भागलपुर - सदस्य
  5. परीक्षा नियंत्रक, बिहार लोक सेवा आयोग, पटना - सदस्य
  6. परीक्षा नियंत्रक, पटना विश्वविद्यालय - सदस्य

गौरतलब अछि कि बिहार विद्यालय परीक्षा समिति के बोर्डक गठन तीन बरखक अवधि लेल कायल जायत अछि। बिहार सरकार के अधिसूचना केर मुताविक समिति के सदस्य सभक कार्यकाल बोर्ड के कार्यकाल अनुसार होयत। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ