बताओल जे रहल अछि कि पुलिस द्वारा मोबाइल सँ बातचीत, फेसबुक पर काएल गेल टिप्पणी केर आधार पर युवक लालू क' हिरासत म' लेल गेलनि।पीड़ित लालू के भाई केर आरोप अछि कि अपहरण केँ आरोप म' लालू क' बेहरहमी सँ पीटल गेल अछि जाहिक प्रमाण हुनकर शरीर पर बनल जख्म केँ गंभीर निशान अछि। सदर अस्पताल म' इलाजक लेल भर्ती कराओल गेल लालू केर स्थिति बहुत नाजुक देखैत चिकित्सक टीम द्वारा हुनकर नीक इलाजक लेल हुनका डीएमसीएच दरभंगा रेफर क' देलनि।
ओनाकि लालू के परिजन सभ हुनका स्थानीय तिरंगा चौक स्थित निजी नरसिंग होम म' भर्ती करौलनि जता लालू केर स्थिति एखनो गंभीर बनल अछि। स्थानीय लोग सभक कहब अछि कि लालू केर अपराध साबित होएबा सँ पहिने एहेन बर्बरता मानवाधिकार केर उल्लंघन अछि आओर ऐहिक जांच होएबाक चाही।
एहि मामला पर मुख्यालय डीएसपी गणपति ठाकुर कहलनि कि धारा 365 केर तहत सदर थाना म' कांड संख्या 885/17 दर्ज काएल गेल अछि आओर एहि मामला म' पूछताछ के लेल लालू क' आनल गेल छल, मुदा युवती केर बरामदगी एखन धरी नहि भेल अछि। आगा ओ सफाई दैत कहलनि कि पूछताछ के क्रम म' लालू केर हालत बिगैड़ गेल आओर चिकित्सक सँ देखेबा पर हुनका लो ब्लड प्रेशर बताओल गेल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।