बेगूसराय : घर म' सुतल दपंति केर पत्थर सँ कूची क' हत्या

बेगूसराय। 23 सितम्बर। घर म' सुतल दपंति केर पत्थर सँ कूची क' हत्या  करबाक मामला सामने आयल अछि। मौके पर पहुंचल पुलिस शव क' कब्ज़ा म' ल'  पोस्टमार्टम के लेल भेजना अछि। ऐहिक संगे जांच शुरू क' देना अछि। 

बताया जे रहल अछि कि गढ़पुरा थाना क्षेत्र के धर्मपुर निवासी 65 बरखक चंद्रदेव पासवान अप्पन पत्नी यशोदा देवी संग घर म' सुतल छलाह। एहि दौरान अज्ञात अपराधी सभ दुनू के पत्थर सँ कूची - कूची हत्या क' देलनि। दपंति केर हत्याक खबैर आगि जोका पसैर गेल। लोग सभ आनन-फानन म' पुलिस क' ऐहिक सूचना देलनि। मुदा बताओल जे रहल अछि कि सुचना भेटलाक बादो पुलिस बहुत देरक बाद ओता पहुंचल। जाहि ल'क' ग्रामीण सभ नाराज भ' सड़क जाम करि खूब हंगामा केलनि। कैको घंटा बाद मौका पर पहुंचल पुलिस लोग सभके समझा बुझा शव क' पोस्टमार्टम लेल भेज देलनि। एखन धरी हत्याक कारणक कोनो पता नहि लगाओल गेल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने