प.बंगाल के बाद आब पटना म' सेहो एक अक्टूबर क' मूर्ति विसर्जन करबा पर रोक

पटना। 23 सितम्बर। प.बंगाल के बाद आब पटना म' सेहो एक अक्टूबर क' मूर्ति विसर्जन करबा पर रोक लगाओल गेल अछि। मुहर्रम क' देखैत पटनाक जिलाधिकारी संजय अग्रवाल द्वारा 30 सितंबर तक मूर्ति विसर्जन करबाक आदेश देल गेल अछि।

दुर्गा पूजा ल'क' शहर केर सुरक्षाक पुख्ता इंतजाम कायल गेल अछि। एसएसपी मनु महाराज केर नेतृत्व म' पुलिस फ्लैग मार्च क' रहल अछि। ओतहि, जिलाधिकारी संजय अग्रवाल द्वारा सभ पंडाल म' सीसीटीवी कैमरा लगेबाक आदेश देल गेल अच्छी। ऐहिक संगे 30 सितम्बर क' मूर्ति विसर्जन करबाक आदेश सेहो देल गेल अछि। 

गौरतलब अछि कि एक अक्टूबर क' मुहर्रम अछि। ऐना म' शांति बनाओल रखबाक लेल जिलाधिकारी द्वारा मूर्ति विसर्जन 30 सितम्बर क' करबाक आदेश देल गेल अछि, ताकि मुहर्रम केर जुलूस आओर मूर्ति विसर्जन आपस म' नहि टकराबे।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने