नवरुणा हत्याकांड म' CBI केँ पहिल कार्रवाई, एक वार्ड पार्षद गिरफ्तार

मुजफ्फरपुर। 05 सितम्बर।  एखन धरिक बिना सोझराओल गेल मामला म' एक  मुजफ्फरपुर केँ नवरुणा हत्याकांड म' सीबीआई पहिल बेर कार्रवाई केलनि। कैल्हि सोमदिन सीबीआई एहि मामला म' जिलाक वार्ड 23 केर  पार्षद राकेश कुमार सिन्हा उर्फ पप्पू क' गिरफ्तार केलनि।

कैल्हि मुजफ्फरपुर स्थित पार्षद राकेश कुमार सिन्हा केर स' सीबीआई हुनका गिरफ्तारी केलनि। गिरफ्तार केलाक बाद सीबीआई टीम पार्षद क' पटना ल' गेलनि। एहि रहस्यमय अपहरण आओर हत्याकांड म' उक्त पार्षद केर विरुद्ध पर्याप्त साक्ष्य भेटबाक बात कहल जे रहल अछि। 

अपने क' बता दी 18 सितंबर 2012 के रति नगर थाना के जवाहरलाल रोड स्थित आवास सँ नाबालिग नवरुणा केर अपहरण काएल गेल छल। बाद म' आढ़ाई माह बाद हुनका घरक नाला सँ कंकाल बरामद भेल छल। शुरू म' एहि मामलाक जांच पुलिस फेर बाद म' सीआइडी केलनि। दुनू के जांचक नतीजा किछु नहि निकलल। बाद म' सुप्रीम कोर्ट केर आदेश पर सीबीआई क' जांच सौंपल गेल। सीबीआई फरवरी 2014 सँ एहि मामला केर जांच क' रहल छल, जाहिमे ई पहिल गिरफ़्तारी थीक।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ