रोहिंग्या सभक भर्ती करेबाक मिशन पर आयल अल-कायदा के संदिग्ध आतंकी गिरफ्तार

नई दिल्ली। 19 सितम्बर। देशक खुफिया एजेंसी क' एक बड़का कामयाबी हाथ लागल अछि। दिल्ली पुलिस केर स्पेशल सेल द्वारा 28 बरखक  समीउन रहमान नामक एक संदिग्ध आतंकी क' गिरफ़्तार कायल गेल अछि। ब्रिटेन के रहिवासी रहमान पर भारत म' अल-कायदा के लेल भर्ती करेबाक आरोप अछि। 

पुलिस के कहब अछि कि रहमान ओना ते बांग्लादेश के रहिवासी छथि।  रहमान पर आरोप अच्छी कि ओ दिल्ली, मिजोरम आओर मणिपुर म' अपन बेस बना राखने छथि, जता स' ओ रोहिंग्या शराणार्थि सभके भड़काबैत छथि आओर भारत आ म्यांमार आर्मी केर खिलाफ युद्धक लेल तैयार करैत छथि।

इयो कहल जे रहल अछि कि रहमान अल-कायदा के अल-नुसरा फ्रंट के लेल सीरिया के अलेप्पों म' सेहो युद्ध लैड़ चुकल छथि। ऐहिक बाद स' भर्ती करबाक लेल बांग्लादेश भेजल गेल छथि। पुलिस के कहब अछि कि ओ कुनु व्यक्ति क' भर्ती करबाक लेल हुनका सँ मिले बला रहथिन, तखने पुलिस हुनका पूर्वी दिल्ली के विकास मार्ग सँ गिरफ्तार क' लेलनि। 

रहमान एहि सँ पहिने बांग्लादेश म' सेहो आतंकी गतिविधि सभक लेल फंड मुहैया करेबाक आरोप म' गिरफ्तार भ' चुकल छथि, बाद म' हुनका  जमानत पर रिहा क' देल गेल छल। पुलिस केर मुताविक ऐहिक बाद नुसरा कमांडर मोहम्मद जोवलानी द्वारा रहमान स' सम्पर्क कायल गेल आओर हुनका भारत म' रोहिंग्या मुसलमान सभक भर्ती करेबाक लेल कहल गेल। 

भर्ती सँ संबंधित निर्देश सभक लेल रहमान अल-कायदा आओर अल-नुसरा कमांडर सभक सम्पर्क म' सदिखन रहैत रहथिन। ऐहिक लेल ओ  'प्रॉटेक्टिव टेक्स्ट' नाम केर सुरक्षित मेसेजिंग ऐप केर उपयोग करैत रहथिन। बताओल जे रहल अछि कि पूछताछ म' ओ स्वीकार केलनि कि ओ हजारीबाग (झारखंड), बिहार, दिल्ली, कश्मीर, नॉर्थ ईस्ट म' एखन धरी 12 रोहिंग्या मुस्लिम क' अप्पन जाल म' फसा चुकल छथि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ