पटना प्रधान डाकघर (जीपीओ) कार्यालय म' शराब पिबैत चैर कर्मचारी गिरफ्तार

पटना। 01 सितम्बर। कोतवाली पुलिस कैल्हि गुरुदिन पटना केँ प्रधान डाकघर (जीपीओ) कार्यालय म' चैर कर्मचारी क' शराब पार्टी करैत गिरफ्तार केलनि। बिहार म' अप्रैल, 2016 सँ लागू पूर्ण शराबबंदी केर  अनदेखी जुर्म अछि। ऐता शराब पीब, बेचब आओर राखब अपराध मानल जाएत अछि। ऐना म' शराबबंदी केर धज्जि सरकारी कर्मचारीये उड़ा रहल छथि। 

कोतवाली पुलिस क' भेटल गुप्त सुचना पर जीपीअो म' दुपहर चैर कर्मचारी क' गिरफ़्तार काएल गेल। जाहि ल'क' पूरा कार्यालय म' हड़कंप मैच गेल। पकड़ल गेल कर्मचारी राजीव कुमार, अमित कुमार, एरिक अनल आओर नवल किशोर क' कोतवाली थाना म' पूछताछक बाद जेल भेजल गेल। ई सभ जीपीओ म' डाकपाल सहायक केर पद पर कार्यरत छथि।

दफ्तर के आन कर्मचारी सभसँ पूछताछ केर दौरान पता चलल कि दफ्तर म' शराब केँ जाम छलकब कोनो नव गप नहि अछि। बहरहाल पुलिस गिरफ्तार काएल गेल कर्मचारी सभ सँ ई बुझबाक प्रयास क' रहल अछि कि ओ सभ शराबक बोतल कता सँ किनलनि आओर हुनका तक बोतल के पहुँचेलनि। 

अपने क' बता दी बिहार म' 1 अप्रैल 2016 सँ शराबबंदी लागू अछि। बिहार देशक चारिम राज्य अछि, जता पूर्ण शराबबंदी लागू अछि। ऐहिक लेल सख्त कानून सेहो बनाओल गेल अछि मुदा ऐहिक बावजूद सरकारी कर्मचारीये सभ कानूनक मजाक उड़ेबा म' लागल छथि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने