कैबिनेट म' शामिल होयबाक रेस म' आरपीसी सिंह आओर संतोष कुशवाहा सभसँ आगू चैल रहल छथि। प्राप्त सूचनाक मुताबिक एक कैबिनेट म' मंत्री आओर एक राज्यमंत्री केर पद पर विराजमान भ' सकैत छथि। बिहारक राजनीति क' देखैत प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी ई तय करथिन कि किनका मंत्री पदक कुर्सी देबाक अछि। आरसीपी सिंह नीतीश कुमार केँ खास बताओल जाएत छथि आओर कुर्मी नेता छथि। ऐना म' कयास लगाओल जे रहल अछि कि हिनका मंत्री पद पर बैसाओल जे सकैत अछि। एहि दुनू केर अलावा वशिष्ठ नारायण सिंह, कहकशां परवीन आओर रामनाथ ठाकुर सेहो रेस म' शामिल छथि।
अपने क' बता दी मोदी कैबिनेट म' फेरबदल केर संभावनाक बीच पांच मंत्री इस्तीफा द' देना छथि। जाहिक कारण सँ पांच मंत्री पद खाली भ' चुकल अछि। ऐहिक संगे पहिनो सँ कैको पद खाली अछि। प्रधानमंत्री मोदी ओहि राज्य सभक नेता क' मंत्री बना सकैत छथि जता चुनाव होमै बला अछि। जेडीयू क' ई उपहार एनडीए म' शामिल होयबाक लेल भेटत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।