कटिहार म' जलप्रलय लेलक 67 लोगक जान, अररिया म' सबसँ बेसी 89 लोगक मौत

कटिहार। 02 सितम्बर। कटिहार जलप्रलय सँ मौतक आंकड़ा 40 सँ बढ़िके 67 भ' गेल अछि, जे अररिया (89) केँ बाद दोसर स्थान पर अछि। जिलाधिकारी द्वारा मृतक सभक परिछन क' जल्दे राज्य आपदा विभाग दिस सँ भेटै बला 4 लाख मुआवजा राशि देबाक बात कहल गेल। 

कटिहार के जिला पदाधिकारी मिथिलेश मिश्रा कहलनि कि जिलाक 16 प्रखंड म' कुर्सेला छोइड़ सभ प्रखण्ड बाढ़ग्रस्त अछि। उक्त प्रखण्ड सभमे जलप्रलय केर दौरान 40 लोगक मौत भेल छल मुदा जहिना - जहिना बाढ़िक पैन उतैर रहल अछि मृतकक संख्या म' बढ़ोतरी भ' रहल अछि। निचला इलाका के कैको क्षेत्र जता आवागमन आओर संचार केर समस्या छल, ओहि जगह सभसँ लोगक मौत संबंधित खबैर नहि भेटल छल, जे आब भेट रहल अछि। जलप्रलय सँ मृतकक संख्या आब 67 भ' गेल अछि।

जिलाधिकारी मिथिलेश मिश्रा कहलनि कि पैन कम होयबाक संगे जिला प्रशासन लग आब महामारी सँ निपटबाक चुनौती अछि आओर ऐहिक लेल पीड़ित क्षेत्र सभमे ब्लीचिंग पॉवडर केर छिड़काव काएल जे रहल अछि।जिला प्रशासन के कोशिश अछि कि मेडिकल टीम क' प्रभावित क्षेत्र सभमे सदिखन भ्रमणशील राखल जाए ताकि होमै बला संक्रामक बिमारी सभपर लगाम लगाओल जे सके। ऐहिक संगे पशु चारा केर सेहो व्यवस्था उपलब्ध कराओल जे रहल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ