बनगाँव : खस्सी चोरीक विरोध करबा पर अज्ञात चोर द्वारा गोली चलाओल गेल

सहरसा। 11 सितम्बर। [पारस कुमार झा] सहरसा जिला के कहरा प्रखंडक बनगाँव गाम म' शनि दिन देर राति कृषक एवं पशु प्रेमी राजाराम झा अप्पन दलान पर सुतल छला। राति करीब एक बजे खस्सी केर  सुगबुगाहट सँ हुनकर नींद खुजल त' देखैत छथि कि हुनकर चारो खस्सी क' चोर सड़क दिस ल' जे रहल अछि।  

राजाराम उठिकेँ जखन दलान पर सँ सड़क दिस देखला त' देखैत छथि कि एक सफेद रंगक स्कार्पियो वा इनोवा म' चारो खस्सी क' चढ़ाओल जे रहल अछि। चोर सभ तीन खस्सी क' पहिने गाड़ी पर चढ़ा चुकल छल आओर चारिम खस्सी क' जहिना चढ़बे लागल की राजाराम ऐहिक विरोध करैत रोकबाक प्रयास केलनि। 
राजाराम केर विरोध करबा पर एक चोर लोहाक राॅड स' हुनका पर प्रहार केलनि, राजाराम जाधरि सम्हरतियैथ तांबे म' दोसर चोर हुनका पर गोली चला देलनि, जाहिसँ ओ बुरा तरहे घायल भ' ओतहि गिर परला। राजाराम अन्हार राति म' सुनसान सड़क पर दर्द सँ छटपटाबैत मुर्छित भ' गेला। 

गोलीक आवाज सुनी लोग सभ जाधरि बाहर आएल चोर सभ खस्सी ल' फरार भ' चुकल छल। लोग सभ बुरा तरहे घायल राजाराम क' टेम्पू सँ सदर अस्पताल म' भर्ती करौलनि, जता हुनकर इलाज चैल रहल अछि।
पूर्व विधायक श्री संजीव कुमार झा, अंजन मिश्र , विनोद प्रसाद झा (मुखियाजी), गुलाब खाँ (सरपंच), विनोद मिश्र, बाबू साहब पाठक, मुकेश कुमार खाँ, अवनीश खाँ, मुरारी झा, ईश्वर चन्द्र झा, राकेश कुमार, चुन्नू झा, अवनीश खाँ केर संगे दर्जनों गामवासी सदर अस्पताल, सहरसा म' हुनकर  देखभाल म' लागल छथि। बनगाँव थाना प्रभारी सेहो अस्पताल पहुंच पीड़ित परिवार क' सांत्वना दैत घटनाक उद्भेदन करबाक आश्वाशन देलनि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ