देशक तेरहम उपराष्ट्रपति बनला वेंकैया नायडू, राष्ट्रपति रामनाथ कोविंद दियौलनि शपथ

नई दिल्ली। 11 अगस्त। वेंकैया नायडू आए देशक तेरहम उपराष्ट्रपति केँ रूप म' शपथ लेलनि। राष्ट्रपति रामनाथ कोविंद हुनका शपथ दियौलनि। दक्षिण भारतीय नायडू हिंदी म' शपथ लेलनि। वेंकैया नायडू शपथ लेबा सँ पहिने राजघाट पहुंचला, जता ओ महात्मा गांधी क' श्रद्धांजलि देला।

राजनीतिक जानकार मानैत अछि कि नायडू के उपराष्ट्रपति बनला सँ बीजेपी केर किछु आफत कम होएत। उपराष्ट्रपति केर तौर पर नायडू राज्यसभा के सभापति हेता आओर सरकार क' उम्मीद अछि कि सदन म' हुनक मौजूदगी सँ सदन क' सुचारू रूप सँ चलेबा म' मदैद भेटत। 

अपने क' बता दी सदन म' विपक्षी सदस्य सभक संख्या सत्तापक्ष सँ बेसी अछि आओर बेसी काल विपक्षी विधेयक सभ म' रुकावट डालैत अछि। नायडू क' संसद के कार्यप्रणाली सभक निक जानकारी अछि अछि, ऐना म' सदिखन हंगामा होय बला सदन क' ओ सभापति केरतौर पर नीक जोका चला सकैत छथि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ