सहरसा : महिषी के बीडीओ व सत्तरकटैया के सीओ समेत कैको के रुकल वेतन

सहरसा। 11 अगस्त। व्हाट्सएप केर माध्यम सँ हाजिरी लगेबाक ल'क' जिला प्रशासन फेर सँ कार्रवाई तेज केलनि अछि। जिलाधिकारी विनोद सिंह गुंजियाल द्वारा एक बरख पूर्व एहि व्यवस्थाक काएल गेल छल। बिच म' चुनाव व आन कारण सँ एहिमे कने ढील देल गेल छल, जाहिक फायदा उठबैत अधिकारी सभ फेर सँ मनमानी पर उतैर गेल छल। 

एहि बीच जिलाधिकारी द्वारा पुन: 10:15 पूर्वाह्न आओर 4:45 अपराह्न म' व्हाट्सएप सँ हाजिरी मंगाएब शुरू काएल गेल। जाहिक आधार पर 8 अगस्त क' निर्धारित समय पर कार्यालय म' अनुपस्थित पाएल गेल महिषी के प्रखंड विकास पदाधिकारी, सत्तरकटैया के अंचलाधिकारी, सौरबाजार सह सत्तर कटैया बाल विकास परियोजना पदाधिकारी व बनमा इटहरी के बाल विकास परियोजना पदाधिकारी, मनरेगा कार्यक्रम पदाधिकारी के एक दिनक वेतन रोइक देल गेलनि। एहि सभ अधिकारी सँ  स्पष्टीकरण सेहो पूछल गेल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने