मुजफ्फरपुर। 11 अगस्त। उत्तर बिहार के सभ जिला पर अगिला 48 घंटा धरी साइक्लोन के खतरा अछि। साइक्लोन के मुख्य केंद्र मुजफ्फरपुर व भागलपुर जिला बताओल जे रहल अछि। आपदा प्रबंधन विभाग दिस सँ बिहार म' पटना समेत कैको जोला म' भारी बारिश के अलर्ट जारी काएल गेल अछि। ऐहिके देखैत पटना के जिलाधिकारी संजय कुमार अग्रवाल आए शुक्रदिन सभ सरकारी व निजी स्कूल क' बंद रखबाक निर्देश देना छथिन। आपदा प्रबंधन विभाग पूरा प्रदेश म' अगिला 48 घंटाक लेल चेतावनी जारी केना अछि।
साइक्लोन के ख़तराक आशंका क' देखैत सभ अधिकारी - पदाधिकारी सभक छुट्टी रद्द काएल गेल अछि। पटना स्थित कंट्रोल रूम क' 24 घंटा सक्रिय राखल गेल अछि।
भागलपुर आओर मुजफ्फरपुर म' तेज हवा के संग भारी बारिश के आशंका क' देखैत विशेष एहतियात बरतबाक आदेश देल गेल अछि। ओतहि मौसम विभाग सेहो 11 आओर 12 अगस्त के लेल अलर्ट जारी केना अछि। अलर्ट क' देखैत सभ जिला म' आपदा आओर मेडिकल विभाग के टीम क' सतर्क काएल गेल अछि। बताओल जे रहल अछि कि उत्तर प्रदेश सँ आबै बला साइक्लोन केर मुख्य केंद्र मुजफ्फरपुर व भागलपुर अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।