मुजफ्फरपुर म' सड़क पर अतिक्रमण करबाक कारण जाम सँ लोग परेशान

मुजफ्फरपुर। 02 अगस्त। मुजफ्फरपुर म' सड़क पर अतिक्रमण करबाक  कारण जाम सँ लोग परेशान छथि मुदा, जिला प्रशासन द्वारा कार्रवाई के नाम पर खानापूर्ति काएल जे रहल अछि। जखन - जखन ऐहिक विरोध के  स्तर बढ़ैत अछि तखन - तखन किछु इलाका म' प्रशासन डंडा चलबैत अछि मुदा, किछु दिन म' फेर सँ ओहि जगह दोकान ठाढ़ भ' जाएत अछि आओर स्थानीय थाना पुलिस किछु नहि क' पबैत छथि। 

पछिला 14 जुलाई क' एक माह सेहो नहि भेल जखन प्रशासन के आला अधिकारी एसडीओ पूर्वी सुनील कुमार आओर नगर डीएसपी आशीष आनंद एन एच–28 पर अतिक्रमण हटेबा म' अपन घाम बहेना छल। तखन बहुत मात्रा म' तब गाडी सभक चालान काटल गेल आओर सड़क पर बनक दोकान उजारल गेल। 

दरअसल एन एच–28 पर सैंकड़ों के मात्रा म' छोट - पैघ गाड़ी ठाढ़ करि  स्थानीय गैरेज बला सभ मरम्मत करबाक लेल वर्कशॉप चलबैत छथि। अतिक्रमण के कारण एनएच के छह लेन म' दू लेन सेहो आबै - जाय के लेल खाली नहि रहैत अछि। ऐहिके देखैत प्रशासन द्वारा एक दिन कार्रवाई काएल गेल छल आओर आगू सेहो अभियान चलेबाक दावा काएल गेल छल। मुदा ओहिक बाद थाना स्तर पर लापरवाही के कारण फेरसँ पाहिले बला हाल भ' गेल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने